पेटक खातिर सदिखन बाहर
सरकारक नीतिक शिकारल
शहरक कारखाना लेल एकटा मजूर
मुदा हमरा घर'क खाम छलैथ बाबूजी
टिकुली सेनुर गहना जेवर
बरसाइत तीज मधुश्रावणीक तेवर
माए माथाक ताज छलैथ बाबूजी
Father Best Poem ( बाबूजी )
हुनकर कोरा छल इन्द्रासन
कखनो दुलार कखनो फटकार
सन्ना भात सन छल हुनकर व्यवहार
सगर गाम मे
नहि छल हुनका सं किनको द्वेष
मुसकिक पहिचान छलैथ बाबूजी
दीया-बाती छठि पराती
दुर्गा-पूजा आकि शिवराति
हुनका अबिते
हमरा लेल होइ छल सभटा पावनि
निसंकोच भ' सभटा गप्प हम कहियैं
संगी आर जिनगीक शान छलैथ बाबूजी
:- Vipin Jha
17 अक्टू॰ 2023

बाबूजी
pitaji or pariwar
लेबल:
बाबूजी,
बाबूजी कविता,
Babuji,
Best father quotes in hindi,
best poem dedicate for father,
Father best Poem in hindi maithili,
Maithili Poem,
pitaji or pariwar
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें