100+ Unique Best Story Shayari & Poem in Hindi | हिंदी में खतरनाक लव स्टोरी, शायरी ,कहानियाँ

यहाँ पर 100+ बेहतरीन और यूनिक लव स्टोरी, शायरी और कविताएँ हिंदी,मैथिली में दी जा रही हैं। ये सभी दिल को छू लेने वाली, रोमांटिक, दर्दभरी और खतरनाक कहानियाँ और शायरियाँ हैं, जो आपको प्यार के अलग-अलग रंगों का एहसास कराएंगी। अधूरी मोहब्बत,बेवफाई का दर्द,लव शायरी,खूबसूरत कविता,गाँवों की मज़ेदार कहानियाँ ||

Ads Here

3 सित॰ 2020

ग्लोबलाइज्ड गाम { globalized village }



गाम भ' गेल अछि ग्लोबलाइज्ड

फूसक घर बदलि गेल पक्काक मकान मे

तहिना माटिक चूल्हि सँ गैस 

आ डिबिया सँ बल्ब मे

दलान सभ पर नहि छै एक्को टा मेह

टेक्नोलॉजी'क बढैत समय मे 

खेत जोतबाक लेल बरदक जगह टैक्टर

आर मेहक जगह थ्रेशर ल' लेलक

आब अल्फा,बीटा पढायल जाएत अइ प्रॉजेक्टर पर

तासक चौकड़ी लगैत अछि मोबाइल मे

उपनयन मे रसन-चौकीक जगह डीजे बजैत अछि

आ सकरौरीक बदला बटाइत अछि रायता

माहटर साहेब आब ऑनलाइन क्लास लैत छैथ

चौक परहक पीपर'क गाछ बनि गेल अछि विज्ञापनक स्रोत

उपैट गेल गामक हाट आ कोलाहल होइत मेला

किएकी अपना लेने छैथ सभ न्युटन'क तेसर नियम केँ

सगर गाम मे लागि चुकल लाइट

विकास'क साइबर कैफे कहैत अछि 

जे गाम भ रहल अइ डिजिटलाइज्ड

गाम'क सीमान पर ठाढ भ'

रस्ता केँ देखि मुस्किया रहल छी हम

सोचि रहल छी -

जेह रस्ता शहर के तरफ जाएत अछि

वेह गामो के तरफ तँ आबैत अछि 

                        ✍️विपिन कुमार झा 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें